20 भारी घरेम सोन और चाँदीक भाँरा किल नै रहत। पर कठ्वा और माटिक भाँरा फेन रहत; कौनो भाँरक प्रयोग विशेष मौकामे प्रयोग करजाइत। और दोसुर भाँरक प्रयोग साधारण कामके लग प्रयोग करजाइत। 21 अस्तेके जोन विश्वासी अपनहे सक्कु खराब काममेसे अल्गे कर्ली कलेसे ओकर जीवन पवित्र रहिहिस। और एकथो कौनो महा महिँगा भाँरक हस रहिहिस, जोन भाँरा विशेष मौकामे प्रयोग करजाइत। यहे कारणसे ऊ अपन मलिक्वक लग प्रयोग करे सेक्ना मेरिक रही।
Publicidade