12 उ समयमे, जोन मनै मोरिकमे विश्वास नै करथाँ, ओइने अपन दादूभैयनहे पकरहीँ, और ओइन्हे मुवादिहीँ, जेने मोरिकमे विश्वास करथाँ। बाबन फेन अपन लरकनहे अस्तेहेँ करहीँ, और लरका अपन दाईबाबक विरोधमे जैहीँ, और ओइन्हे मुवादिहीँ। 13 मोरिकमे विश्वास कर्लक कारण बहुत्ते मनै तुहुरिन्के दुश्मन होजिहीँ। पर जोन मनै मोरिकमे विश्वासयोग्य पलिरहिहीँ, और कष्ट नै ओराइतसम मोरिकमे विश्वास कर्ले पलिरहिहीँ, और हार नै मन्हीँ, परमेश्वर ओइनेहेन्हे बँचैहीँ।"