9,10 तब् रज्वक बात सुनके ओइने अपन देश घुमगिलाँ। डगरमे ओइने वहे तोरैयाँ देख्लाँ, जोन तोरैयाँहे ओइने पूरुव ओहोँर अपन देशमे देखल रहिँत। जब ओइने उहिहे देख्लाँ ते ओइने गजब खुशी होगिलाँ। उ तोरैयाँ ओइन्के आघे-आघे गैल, और लरका रहल घरक सोझे जाके उ तोरैयाँ रुकगिल। 11 तब् घरक भित्तर जाके ओइने लरकाहे हुँकार दाई मरियमके संग देख्लाँ ते ओइने घोपत्या होके हुँकार आराधना करलाँ। तब् अपन सुरकैना ठैली खोलके हुँकिन्हे सोन, सुगन्धित धूप और मूर्र तेलके 2:11 सुगन्धित धूप और मूर्र तेलके मूर्र इजरायल देशमे फेन मिले। यी एकथो दोसुर मेरिक मीठ बास अइना चिज हो, जिहिहे मूर्र कहिजाजाइत, अथवा यिहिहे एकथो रुख्वामेसे निकर्लक खास मेरिक बिरुवा फेन कहिजाजाइत।दान चह्रैलाँ। 12 तब् हेरोद रज्वक थेन फिर्ता ना जाँइत कना सपनामे चेतावनी पाके ओइने हेरोद रज्वाहे बिना बतैले दोसुर डगर ओहोँरसे अपन देशमे घुमगिलाँ।
Publicidade