25 पर येशू उ सक्कु चेलनहे अपन थेन बलैलाँ और कलाँ, "तुहुरे जन्थो कि जेने यी दुनियामे शासक मानजिथाँ। ओइने अपन कब्जामे रहल मनैनके उप्पर अधिकार जमाइक लग और ओइन्के अगुवा अपन बात मन्वाइक लग अपन अधिकारके प्रयोग करथाँ। 26 तुहुरिन्के बिच्चेम असिन नै हुई, पर जे तुहुरिन्मे भारी हुइना इच्छा करत, उ तुहुरिन्के सेबक हुइक परत।